Thursday, January 11, 2018

कपिलेश्वर स्थान मंदिर के बारे में

कपिलेश्वर स्थान मंदिर के बारे मे कहल जाइ छै जे एहि मंदिर के शिवलिंगक स्थापना कपिल मुनि कएने छलथिन्ह. कहल जाइत अछि जे राजा सगर एक बेर अश्वमेघ यज्ञ कएला के बाद घोड़ा छोड़लाह… घोड़ा के संग सगर के पुत्र आओर साठि हजार सैनिक सेहो छलन्हि. राजा सगर के एहि राज्य विस्तार सं डरि यज्ञ के घोड़ा चोरा पालात लोक मे कपिल मुनि के कुटिया के पास बान्हि देलखिन्ह. जखन राजा सगर के सैनिक घोड़ा के कुटिया मे बान्हल देखलक तs कपिल मुनि के चोर समझि अपमान करय लागल…ताहि सं तससा कs राजा सगर के पुत्र आ सैनिक के शाप द नष्ट कS देलथिन्ह. एहि के बाद ओ अपन पाताल लोक के आश्रम छोड़ि कपिलेश्वर चलि अएला आओर अहि ठाम शिवलिंगक स्थापना कए रहय लगलाह. अगर कहिओ कपिलेश्वर जाय के मौका मिलय त जरूर जाउ. दरभंगा सं जयनगर जाए के क्रम मे कई बेर एहि रास्ता सं गुजरल होएब… कहिओ उतरि कs दर्शन करि

No comments:

Post a Comment